Saturday, March 23, 2019

Reality Of Mithila

                                                                          

                                                                                     एकटा प्रश्न त' पुछियौ

नदी मातृक प्रदेशक रहैबला छी हमरा लोकनि, कमलासन जीवनदायी नदी विलोपन हेबाक कछेरपर अछि।जोत-कोरक अभावमे मिथिलाक भूमि तीव्रता सँ उसर,बज्जर भ' रहल अछि। एहन उर्वर माटि,पर्याप्त जल आ उपयुक्त  जलवायुक अछैत हकन्न कानि रहल अछि मिथिलाक लोक।ज्ञान- विज्ञानक त'कथ कोन हमरा लोकनि नमहर - नमहर दाबी करबामे पारंगत छी।

 ई जानि क' बहुत आश्चर्य होयत जे दुनियांक सर्वाधिक जनसंख्या घनत्ववला क्षेत्र अछि मिथिला। चेतनाहीनताक स्थितिक कारण मिथिलाक हिस्साक टाका देशक आन-आन क्षेत्रमे खर्च कयल जा रहल अछि।कहियो एतय समृद्ध खादी उद्योग छल,जूट आ रेशमक उत्पदन होइत छल ,चीनीक कतेको मिल चलैत छल।शिक्षा प्राप्त करबाक लेल शिक्षार्थी मिथिला अबैत छलाह एहि परिपेक्ष्यमे जखन हम सोचैत छी त' चिंता  होइत अछि। मिथिला बौद्धिक स्तरपर कतबा पिछड़ि गेल अछि!ई जानि बहुत आश्चर्य हैत जे मिथिलाक सकल घरेलू उत्पाद( GDP) दक्षिण बिहार सं सोझे आधा छैक।दोसर प्रान्त आ देशसं एकर तुलना केनाइ त'ब्यर्थक गप भेल। एखनो मिथिलाक बिरानबे प्रतिशत लोक गाममे रहि रहल अछि।जखन कि तीव्रता सँ गामक लोक पलायन क' रहल अछि।

ई सभ बात किये क' रहल छी हम,से जिज्ञासा भ' सकैत अछि।हँ,त' सुनू गेल रही गाम।  चौकपर चलैत रहै राजनीतिक चौपाड़ि।ऋतुक अनुसारे चलबे करतै। मुदा  मात्र एकटा प्रश्न कयलापर  सभक बोलती भ' गेलनि बन्न।
औ श्रीमान भारतक विकाशक मानचित्रमे मिथिलो कतौ छैक?

अहाँ केँ सोचक चाही जे अहाँक कोटि-कोटि समांग दोसरा प्रान्तमे जाक' घोर संकटपूर्ण जीवन निर्वाह कय रहल अछि।पानीक अभावमे,लोकक अभावमे,उचित मार्गदर्शनक अभावमे अहाँक किताक किता खेत पड़ती पराँट पड़ल अछि। स्थापित उद्योग धन्धा चौपट भ' गेल।इएह बेर ने छैक प्रश्न पुछबाक।किछु चर्च करबाक ।एकर उत्तरदायी के?

 हमर नेना सभ अपन डीह डाबर छोड़ि दिल्ली ,कोटामे घोर संकटपूर्ण स्थितिमे अपन सुन्दर भविष्य बनेबाक लेल लागल अछि।एतुका मेहनतिक टाका आन प्रदेशमे पानि जकाँ बहि र हल अछि।

 बेसी की कहब? बात एतबे छैक जे कृषि रोडमैप आ शिक्षा क्षेत्रक पुनरुद्धार सँ  बहुत किछु हासिल कयल जा सकैछ।बिरहल गाम आबाद भ' सकैछ।दलान दरबज्जा  रमणगर ,सोहनगर भ' सकैछ।भाषा ,भूमिक मर्यादा बचाओल आ बढ़ाओल जा सकैछ।
एकटा प्रश्न त' पुछक साहस करियौ श्रीमान/ श्रीमती।



https://www.facebook.com/dilip.jha.5059/videos/2541301406095535/

No comments:

Post a Comment

जे.जे. कॉलोनी: भाग ४

  भाग ४   देबु मनोहरसँ पुछलनि- 'मनोहर भाइ! की भेल?' देबु!अहाँ कहु ने की भेल? 'अहुँ तँ छी पक्का मैथिल ने  सोझ मुहें उतारा नहिये न...