Sunday, July 30, 2023

अरुणिमा साहित्यिक गोष्ठी







मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति के तत्वावधानमे 'अरुणिमा साहित्यिक गोष्ठी'क आयोजन  एम  एस सी उच्च विद्यालय लोहाक प्रांगणमे मैथिलीक वरिष्ठ कवि उदय चन्द्र झा 'विनोद' क अध्यक्षतामे आयोजित कयल गेल।जे पछाति एहन जमल जे  एकटा गोष्ठी नहि एकट वृहत् कवि सम्मेलनक रूप ल' लेलक। गोष्ठीमे लोहा,कलुआही- हरिपुर, परिसरक अनेक गामक  कवि-साहित्यकार लोकनिक् गरिमामय उपस्थिति उल्लेखनीय रहल।  दू दर्जनसँ उपर कवि अपन कविता पढ़लनि।

               

 लोहा  ग्रामवासी लोकनिक स्वागत ओ उपस्थितिसँ अभिभूत छी।आजुक एहि  गोष्ठीमे पुरसौलिया सँ मैथिलीक वरिष्ठ गजलकार,अनुवादक सदरे आलम गौहर,सकील,हरिपुर बख्सीटोल सँ भूपनारायण झा,पूर्णेदु झा बख्सी,झोंझी सँ चित्रगुप्तजी, लोहा सँ अंजली कुमारी,पोखरौनी सँ आनन्द झा,आद्यानाथ झा नवीन,रहिका सँ अर्जुन कविराज उपस्थित छलाह।मधुबनी सँ चण्डेश्वर खाँ,रैवतीरमण झा,डा. वंशीधर मिश्र,कमलेश प्रेमेन्द्र,आनन्द मोहन झा,सोनू कुमार झा,झौली पासवान,मालती मिश्र,डा.रानी झा,बनीपट्टी सँ मैथिल प्रशान्त,ललित कुमार ठाकुर,मनोज कामत,रमेश शर्मा,करमौलीसँ बद्री नारायण राय,बिस्फी सँ डा.जयनारायण गिरि उपस्थित छलाह।समितिक अध्यक्ष प्रीतम कुमार निषाद,पं प्रजापति ठाकुर,आशीष कुमार मिश्र,नारायणजी मिश्र,छोटू शांडिल्य सेहो उपस्थित रहथि। आगत कवि,साहित्यकारक स्वागत‌ ओ सम्मान संगोष्ठीक संयोजक लोहा ग्रामवासी कवि डा. रवीन्द्र झा  आओर  ग्राम पंचायतक मुखिया राजेश मिश्र क संग  गामक गणमान्यक द्वारा कयल गेल।

बहुत दिनक बाद एहन झमटगर दर्शकक बीच एहन झमटगर कवि सम्मेलन भेल। बहुत गद गद छी।धन्यवाद समस्त लोहा परिसरक निवासी।मातृभाषाक एहन मान गामेगाम हेबाक आवश्यकता छैक।जय मैथिली।संचालन दिलीप कुमार झा ओ धन्यवादज्ञापन डा.रवीन्द्र झा कयलनि।

                    


No comments:

Post a Comment

जे.जे. कॉलोनी: भाग ४

  भाग ४   देबु मनोहरसँ पुछलनि- 'मनोहर भाइ! की भेल?' देबु!अहाँ कहु ने की भेल? 'अहुँ तँ छी पक्का मैथिल ने  सोझ मुहें उतारा नहिये न...